#

प्रस्तावना

संस्थाके दुरदृष्टि (Vission)

भूमि पुत्र थारू समुदायके पहिचान और आत्मगौरवके अनुभूति कराइवला सिरहाके लहानमे थारु सामुदायिक सेवा सदन निर्माण क्याके ऐतिहासिक धरोहरके रुपमे भावी पुस्ताके थारु सन्ततिसबके थारु समुदायके उन्नति और समृद्धिके आधार स्तम्भके रुपमे विकसित क्याल जेतै ।

संस्थाके ध्येय (Mission)

सिरहा जिल्लाके कोन कानके हरेक गाममे रहल थारु कूल बंशके सम्पूर्ण थारूसबके प्रतिनिधिमूलक संस्थाके रुपमे थारू सामुदायिक सेवा केन्द लहान, सिरहा नामक संस्था रहतै और 'थारु सामुदायिक सेवा सदन' ऐतिहासिक धरोहरके रुपमे जीवित रहैत गरिब, विपन्न, असहाय थारु सबके आपन क्षमता और बौद्धिकताके पहिचान क्याके अगाडि बरहैवला सोचके विकास करै से येकर मुख्य ध्येय छै ।

लक्ष्य (Goal)

ग्रामीण और शहरिया परिवेशमे छिरीयाल रहल सम्पूर्ण थारु समुदायके सामाजिक, आर्थिक, शैक्षिक संगे समयके माग अनुसार राजनीतिक रुपान्तरण करैत थारु समुदायमे व्याप्त रहल गरिबी, शोषण, पिछडापन, शिक्षा, स्वास्थ्य, बाणिज्य व्यापार, राजनीतिक चेतनाके कमी, दहेज कुप्रथा, विकृति, कूरीति, अन्धविश्वास लगायतके कमी कमजोरी हट्याके आर्थिक रुपमे सबल तथा शिक्षा और कलासंस्कृतिमे अगाडि बढ्याके सामुदायिक सेवाके भावना विस्तार करैके लक्ष्य छ ।

संस्थाके उद्देश्य (Objective)

१. इ संस्थाके मुख्य उद्देश्य "थारू सामुदायिक सेवा सदन" भवन निर्माण करैके छै ।
२. भवन निर्माणके लेल संस्थासे निम्न कार्यसब क्याल जेतै :

(क) आर्थिक सहयोग संकलन |
(ख) भवन निर्माणके लेल थप जग्गाके खोजी या खरिद केल जेतै ।
(ग) आवश्यकता अनुसार भवन निर्माणके लेल उप-समिति सब बन्याल जेतै ।
(घ) “थारू सामुदायिक सदन" वियाह, गोष्ठी, सभा सम्मेलन तथा सांस्कृतिक कार्यसब करैके लेल और अतिथि गृहके रुपमे उपयोग क्याल जेतै ।
(ङ) "सदन" से प्राप्त रकम सदनके संचालन, सरसफाई, व्यवस्थापन, मर्मत सम्भार एवं थप निर्माणके काममे खर्च क्याल जेतै ।
(च) “सदन” से संकलित रकमके ३०% सामाजिक विकास और थारु समुदायके उत्थानके कार्यक्रमसबमे लग्याल जेतै । तैहना गरिब-जेहेन्दार छात्रवृति तथा वृद्धवृद्धासबके सेवामे सेहो खर्च क्याल जेतै ।

३. थारू समुदायमे व्याप्त रहल बेरोजगारीके दृष्टिगत करैत समय-समय पर युवा, महिला तथा समाजमे पाछा परल अन्य जाति समुदायके लेल सेहो रोजगारमुलक, सीपमुलक तालिम संचालन कैरके आयमुलक, सिपमुलक कार्यक्रमसब संचालन करैत रोजगार उन्मूख समाजके बाटमे आगा बढैले प्रेरित क्याल जेतै ।
४. सरकारी तथा गैरसरकारी, राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय संघ संस्थासंगे समन्वय सहकार्य कामय करैत विभिन्न सामाजिक
तथा सृजनात्मक कार्यक्रम सब संचालन क्याल जेतै और इ संस्थासबसंगे आर्थिक तथा प्राविधिक सहयोग प्राप्त करैसे पूर्व
नेपाल सरकारके अनुमति ल्याके कार्यक्रमसब संचालन क्याल जेतै ।
५. शिक्षा, स्वास्थ्य, खेलकूद, खानेपानी तथा स्वच्छ वातावरणके विकासके आवश्यकता तथा लागु पदार्थ सेवन, दुर्यव्यसन साथे
विभिन्न रोगसबके विरुद्ध व्यापक रुपसे जनचेतना जगाइवला निःशुल्क विभिन्न जनचेतनामुलक, स्वास्थ्य सेवामुलक शिविर
संचालन क्याल जेतै ।
६. समाजमे रहल दहेज कुप्रथाके न्यूनीकरण करैत जनचेतना वृद्धि करैवला कार्यसबसंगे थारु समुदायके वियाहमे बैढरहल मोटर साइकल
माङचाङके मानसिकताके न्यूनीकरणके लेल जनचेतना जगाइवाला काम क्याल जेतै ।
७. समाजमे रहल महिला प्रतिके भेदभावके अन्त्य करैत बालवालिका प्रतिके शिक्षामे रहल उदासिनताके अन्त्य करैत
बालवालिकासबके उच्च शिक्षामे पहुंच पुगाइवला जनचेतना कार्यक्रम क्याल जेतै ।
८. इ संस्था सामाजिक रीतिरिवाज अनुसार वियाह दर्ता तथा जातीय आपसी विवादके समाधान करैले सहयोग करतै ।
९. सामाजिक, सांस्कृतिक, शैक्षिक, आर्थिक एवं राजनीतिक रुपान्तरणके क्षेत्रमे अन्य आवश्यक कामसब सेहो क्याल जेतै ।